समाचारको भिडियो हेर्नको लागि हाम्रो युट्युब च्यानल SUBSCRIBE गर्नुहोस् ।
तोरा पर छल बहुत विश्वास हो भैया,
जनकपुर के बढेबा मान
मने मन सब कियो सपना देखैत छल
राजधानी हेतै अपन गाम हो भैया
जनकपुरके कैला तो नास ।
जनता जितेलको तोरा ,आगा बढेलको
तोरा नै छो गत्तरमे लाज हो भैया
जन्म धर्तिके कैला ब्यपार ।
मालिक कहै छो, तो सेहे बजै छा
सुदि बुद्धि कत हरेलो हो भैया
बनल छा कैला गुलाम ।
तोहर बैमानी स जन्नी कनै छै
देलहो नै नोर के ध्यान हो भैया
भेला तो केहन बैमान ।
संसदमे खाड छा माटीके बल प
नै कर एतेक गुमान हो भैया
ऐहि धर्तीके राख तो नाम ।